फागुन महीना रंग बरसे : एम.एल.आर मीडिया प्रा. लि. क पहिल एल्वम
![]() |
| फागुन महीना रंग बरसे सीडीक आवरण |
5 मार्च, 2014
क’ राजधानी पटना में रिलीज भेल मैथिली, हिन्दी आ भोजपुरी
होली गीतक एल्वम फागुन महीना रंग बरसे । एकर गीत आ संगीत दीपक ठाकुरक
छनि आ मुख्य स्वर राजीव रंजन झा, पवन नारायण आ सुश्री सत्या
मिश्रा देने छथि । हिमांशु एस. झा आ साउण्ड वेव्स द्वारा प्रस्तुत मैथिली, हिन्दी आ भोजपुरी के 6 टा गीत स’ सजल ई एल्वम बाज़ार मे उपलब्ध अछि ।एल्वम रिलीजक अवसर पर सुप्रसिद्ध रंगकर्मी प्रेमलता मिश्र ‘प्रेम’, श्री कुणाल, श्री कमल मोहन चुन्नु, श्री प्रकाश झा, श्री अनिल मिश्रा, श्री बटुक भाई, श्री किशोर केशव, श्री मुकेश झा, पत्रकार सुनील कुमार झा आदि लोकन्हि उपस्थित छलाह । एत्तेक मैथिली साहित्यिक आ सांस्कृतिक महत्वपूर्ण हस्ताक्षक उपस्थिति मे एल्वम के लोकार्पण मैथिलीक पहिल घटना अछि । एहि अवसर पर राजीव रंजन झा आ
सत्या मिश्रा एल्वमक गीत गाबि दर्शक के आनन्दित केलाह । आजुक समय मे जखन कि होलीक नाम पर एक स' एक अश्लिल गीतक भरमार भ' जाइत अछि, भोजपुरी गीत सामाजिक संबंध के धज्जी उड़बैत अछि एहना समय मे फागुन महीना रंग बरसे मोन मे होलीक गुदगुद्दी उत्पन्न करैत अछि ।
![]() |
| फागुन महीना रंग बरसे के लोकार्पित करैत अग्रज लोकन्हि |
युवा गायक राजीव रंजन अपन परीश्रम स' आजुक युवा पीढ़ी मे स्थापित नाम भ' चुकल छथि । दीपक ठाकुर अपन लेखनी आ संगीत संयोजन स' निरंतर विस्तार पाबि रहल छथि । एहि दुनू युवा जोड़ीक मैथिली संगीत जगत मे पदार्पण नव दिशा द' रहल अछि । हिनका लोकनिक रचना प्रक्रिया आ मैथिली संस्कारक प्रति अनुराग निश्चित रूपे मैलोरंग सन समृद्ध रंगमंडलक सांस्कृतिक वातावरणक परिणति अछि । मैलोरंग के सेहो अपन अहि युवा पीढ़ी पर गर्व होइत अछि । फागुन महीना रंग बरसे मे मैलोरंग युवा अभिनेत्री सत्या मिश्राक आवाज़ सेहो अहाँ के मोहित करत । सुश्री सत्याक ई आवाज़ मैथिली संगीत मे अपन अलग स्थान बनाओत ई परिलक्षित होइत अछि । मैथिली संगीत जगतक स्थापित नाम भाई पवन नारयण द्वारा हमर मैलोरंगक प्रति सहृदय भावक हम सब आभारी छी । अपन अवाज़ एहि युवाक संग द' अपना लेल हमरा लोकनिक हृदय मे अपन स्थान आरो मजबूत केलाह अछि । मैलोरंगक अप्पन स्टूडियो एम.एल.आर मीडिया प्रा. लि. द्वारा पहिल पुष्पक लेल राजीव मिश्रा आ मुकेश झा के हार्दिक बधाई । राजीव मिश्राक प्रलेखण सेहो समुचित छन्हि से देखार भ' रहल अछि । मैथिल समाज स' आग्रह जे एहि एल्वम के जरूर सूनी आ अपन विचार स' एहि युवा जोड़ीक उत्साहवर्धन करी ।

