मैथिली जगतक लेल अभूतपूर्व घटना छल जे
कोनो दोसर देशक राष्ट्राध्यक्ष [ राष्ट्रपति ]
मैथिली आयोजनमे आबि ओकर मान बढ़ाबथि. एहन आयोजन एखन तक कहियो नै भेल छल.
मैथिली रंगमंच एहि प्रथम उपलब्धि के प्राप्त क’ मैथिली साहित्य
जगतमे अपन प्रतिबध्यता के एक बेर पुन: मजबूती स’ स्थापित
केलक अछि. मानल जा सकैत अछि जे नेपालक मैथिलीक कोनो आयोजनमे नेपालक राष्ट्रपति डॉ.
राम बरण यादव जी आयल होयताह. भारतक मैथिली आयोजनमे सेहो संभवत: भारतक
राष्ट्रपति आयल होयताह . मुदा मैथिलीक आयोजनमे कोनो विदेशक राष्ट्रपतिक पदार्पणक ई
प्रथम आयोजन मैथिली रंग जगत के हाथ अयलन्हि.
हम व्यक्तिगत रूपे सेहो हर्षित छी जे ई
सौभाग्य हमर रेपर्टरी मैथिली लोक रंग [ मैलोरंग ] के प्राप्त भेलैक. आगू
एहन दिव्य आयोजन फेर होतय से सम्भावना निश्चित रूपे मैलोरंग अपना डायरीमे
टीप चुकल अछि मुदा अपन आयोजनमे अपन पाहुनक रूपमे कोनो दोसर देशक राष्ट्रपति के आनि
पाओत से संदेह बनि गेल छैक.
हमरामे अपन मैथिल समाज विश्वास बनेने
छथि ताहि लेल हम सम्पूर्ण मैथिली जगतक आगू नतमस्तक छी.