मलंगिया नाट्य महोत्सव
मैथिली लोक रंग / मैलोरंग अपन गतिविधिक सातम बर्ख पूर केलक अछि । एहि बीच संगठन दिल्ली
सन महानगरमे जे आयोजन / प्रकाशन वाकि
उपलब्धि प्राप्त क’ सकल अछि, तकर मधुरगुंज प्रत्यक्ष वा परोक्ष रूपसँ अहाँक समीप पहुँचेबाक प्रयास मैलोरंग करैत
रहल अछि । मैलोरंग मैथिली भाषा आ संस्कृतिक संवर्धनक लेल सतत प्रयासरत अछि
।
वर्ष 2012 क पूर्णाहुतिक उपलक्ष्यमे मैलोरंग अपन वार्षिकोत्सव के प्रसिद्ध नाटककार महेन्द्र मलंगिया पर केन्द्रित कयलक अछि । एहि मलंगिया नाट्य महोत्सव मे मैथिलीक विभिन्न नाट्यदल द्वारा महेन्द्र मलंगियाक विभिन्न नाटकक प्रस्तुति (26-30 दिसम्बर, 2012) श्रीराम सेंटर, मण्डीहाउस, नई दिल्ली मे कयल जायत । नाट्यदल देशक विभिन्न शहर सँ आमंत्रित कयल गेल अछि । नाटककार महेन्द्र मलंगियापर केन्द्रित एकटा भव्य संगोष्ठी एवं हुनकर नाट्य रचना संचयनक संग मूल्यांकनपरक पुस्तक नाटककार महेन्द्र मलंगिया : जीवन एवं सृजन सेहो प्रकाशित होयत । एही वर्षक ज्योतिरीश्वर सम्मान सेहो महेन्द्र मलंगिया के देल जेतैन ।
मलंगिया नाट्य महोत्सव आयोजनक सविस्तृत
जानकारी, मंचित नाटकक ब्रोश्यर एवं आरो कतेको महत्वपूर्ण सामग्रीक लेल आकर्षक स्मारिकाक
प्रकाशन कयल जेबाक अछि । अहाँ सँ सादर अनुरोध अहि जे एहि सुन्दर आयोजन मलंगिया
नाट्य महोत्सवक लेल हमरा सबकेँ अपन शुभकामना दी । एहि स’ हमारा सबहक विश्वास बनल रहत ।
हमरा विश्वास अछि अहाँ महोत्सव लेल अपन शुभकामना अवश्य देब
।
आहाँक विश्वासी
अनुज
[ प्रकाश झा ]
निदेशक, मैलोरंग.

.jpg)


