दूरभाष संवाद :
-
सर ! किछु अभिनेता / अभिनेत्री चाही फिल्म “हाफ मर्डर” के डॅबिंग
करबाक अछि ।
-
जी ! जरूर... [ किछु रंगकर्मीक मो. नं. अग्रसारित भेल ]
[ किछु दिन बाद ]
-
सर ! एकटा वरीष्ठ अभिनेता नहि आबि पाबि रहल छथि । हुनक आग्रह छनि जे हुनक
आवाज अपने दितियै । तेँ आग्रह जे कनि टाइम निकालितहु डॅबिंग लेल ।
-
हम एहि सप्ताह शहर स’ बाहर छी, अपने अगिला सप्ताहक कोनो शनि वा रवि
दिन राखू ।
[ किछु दिन बाब ]
-
सर ! आब अपने आबि गेल होयब, कनि टाइम द’ दितहुँ ]
-
हाँ ! हम आबि गेल छी, शनि दिन ठीक छ: बजे हम अबैत छी ।
[ उचित पारिश्रमिक संग हम डबिंग भेल ]
[ कतेको मास बाद । फेर दूरभाष संवाद ]
-
सर ! फिल्म “हाफ मर्डर” तैयार भ’ गेल अछि । आब एकर स्कीनिंग राख’ चाहैत
छी से अपने कोनो छोट छीन हॉल सुझबितहुँ ।
-
जी ! एहि लेल मण्डी हाउस मे त्रिवेणी हॉल नीक रहत या फेर लक्ष्मी नगर
मे पी.एस.के. स’ गप्प करू ।
सीन 1 : फेसबुक
मैसेज बॉक्स में भाई विभय जीक संवाद – साईंचरण इंटरटेनमेंट प्राइवेट लिमिटेड द्वारा
निर्मित मैथिली फ़िल्म "हाफ़ मर्डर" केर स्क्रीनिंग शो सोमवार 15 सितम्बर 2014
समय - दोपहर 2 बजे स 5 बजे
तक स्थान - बासुकी ऑडिटोरियम एंड गायत्री हॉल, लोक कला मंच,
लोधी रोड, साईं बाबा मंदिर के पीछे , नई दिल्ली- 110003 नई दिल्ली में राखल गेल अछि। जाहि मे अपने
"अतिथि" के रूप में सादर आमंत्रित छी।
वाह ! मैथिली फिल्म के स्क्रीनिंग शो !!!
सीन 2 : युवा मैथिली
कवि मनीष झा “बौआभाई” दहेज मुक्त मिथिलाक आयोजनमे 13 सितम्बर क’ भेटैत छथि ।
- भाईजी ! 15 क’ फिल्म स्क्रीनिंग
मे एबै ने ? हम ओहि आयोजनक संचालन करब ।
- बहुत नीक गप्प । अहाँ के बधाई ! विभय बाबू
आमंत्रण देने छथि’ मुदा सोम दिन छै, ऑफिस में व्यस्तता रहतै, तैयो हम कोशिश करब
अयबाक ।
सीन 3 : [ मैलोरंग
के अभिनेता मनोज पाण्डेय जीक फोन अबैत अछि ]
- सर !
क’त’ छियै ? कखन पहुँचब एहि ठाम ?
- क’ त’
यौ ?
- फिल्म
स्क्रीनिंग मे । हम आबि गेल छी । जानकारी भेटल अछि जे अहाँ आबि रहल छी ।
- अहाँ
पहुँच गेलहुँ । हमहूँ अबैत छी ।
शुरु होइत अछि मनीष झा ‘बौआभाई’क उद्घोषणा... आब फिल्म “हाफ
मर्डर”... बीच मे अल्पविराम... फेर शेष भाग... आब समापन आ समीक्षा... मुख्य
अतिथि वरिष्ठ पुलिस अधिकारी श्री संजय कुमार झा जीक स्वागत... फेर मंच पर अभिनेता
संजय सिंह जीक स्वागत । तेसर मे हमरा बजाओल गेल... आश्चर्य... [ एकर कोनो अनुमान
नहि छल हमरा ] खैर... चढ़लहुँ मंच पर. खूब नीक लागल । आयोजक के बहुत बहुत आभार ।
आब आओल जाय “हाफ मर्डर” फिल्म पर...
लगभग दू साल पहिने मधुबनीक स्थानीय आई.पी.एस. स्कूल स’ बालक –
बालिका प्रेम प्रसंगवस स’ चुपचाप शहर छोड़ि भागि गेल छल । संयोग स’ ओहि समय कोनो
बालकक सिर कटल लास सेहो प्रशासन के भेटल छल । किछु अज्ञानी पत्रकार आ भ्रष्ट राजनेता
लोकनि एहि दुनू स्थिति
के जोड़ि शहर मे हँगामा ठाढ़ क’ देलक । कतेको स्थान पर आगि
लगाओल गेल, सम्पूर्ण शहर तहस – नहस भ’ गेल । एक – दूटा हत्या आर भ’ गेल । आदि आदि
। एखनो ओहि काण्डक भोगी अरेर गामक कतेको युवा जहल मे छथि । अस्तु ।
अही काण्ड पर आधारित फिल्म अछि “हाफ मर्डर” । एखन एहि फिल्मक
समीक्षा उचित नहि । फिल्मक प्रस्तुति आकर्षक अछि । पिछला कतेको मैथिली फिल्म जाहि
मे तकनीकि पक्ष बहुत कमजोर रहैत अछि ताहि सब मे अपेक्षाकृत बेसी सुधार कयल गेल अछि
। सिनेमाक सबल पक्ष अछि एकर संगीत । रविन्द्र जैन, मो.
अज़ीज़, कुमार शानू, शान, कविता
कृष्णमूर्ति, उदित नारायण झा, ज्ञानेश्वर
दुबे, सुनील पवन जी आदिक गायन स’ भरल अछि ई फिल्म । संगीत निर्देशित केलाह अछि
सुनील पवन जी । सिनेमा मैथिल दर्शक के अपना दिस आकर्षित करबाक सामर्थ रखैत अछि । एहि सिनेमाक निर्माता, निर्देशक रमानाथ
झा आ सह- निर्माता आदित्य मिश्र जी छथि । एहि सम्पूर्ण टीम के हार्दिक बधाई । आगामी
महीना ई फिल्म सम्पूर्ण मिथिला मे लागत । आगू एहि फिल्मक सब विन्दु पर चर्चा करब ।


.jpg)


कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें