सोमवार, 26 नवंबर 2012

मलंगिया जी के बधाई...

महाकवि विद्यापतिक स्मृति दिवस, विगत 26 नवम्बर, 2012 क' जनकपुर नेपालमे सम्पन्न भेल ।
नेपाल सरकार द्वारा गठित विद्यापति पुरस्कार कोष सोमदिन पुरस्कारक घोषणा कएलक ।
विद्यापति मैथिली कला संस्कृति पुरस्कार मैथिलीक चर्चित नाटककार महेन्द्र मलंगियाकेँ देल जयतनि.
 
ई जानकारी पुरस्कार कोषक सदस्य सचिव श्याम सुन्दर शशि जानकारी देलन्हि अछि । जानकारी सुजीत कुमार एहि शुभ संवाद के प्रसारित कयलथि अछि । 
 
एही बेर मैथिली रंगमंचक ज्योतिरीश्वर सम्मान स' सेहो मलंगिया जी सम्मानित भेलथि अछि. ई सम्मान हिनका 26 दिसम्बर, 2012 क' दिल्ली मे प्रदान कयल जेतनि.
 
जनकारी दी जे श्री महेन्द्र मलंगिया आजुक समय मे मैथिली लोक रंग / मैलोरंग दिल्लीक अध्यक्ष छथि.
मैलोरंगक आगामी योजनामे नाटककार महेन्द्र मलंगिया लिखित नाटकक मंचन 26 - 30 दिसम्बर, 2012 धरि श्रीराम सेंटर, नई दिल्ली मे "मलंगिया नाट्य महोत्सव" नाम होयत.
 
बेसी स' बेसी गोटे आबी से हकार अछि ।
 
 

  •  

1 टिप्पणी: