![]() |
| असावरी रेपर्ट्ररीक कथक नृत्य प्रस्तुति |
यैह थिक दिल्लीक
हृदयस्थली इन्डिया हेबिटेट सेंटर । जँ दिल्ली अयलहुँ आ एहि परिसर मे नै घुमलौं त’ बुझि
लिय’ जे पूरा दिल्ली नै घुमलहुँ । अत्याधुनिक
वास्तुशास्त्र आ वास्तुशिल्प स’ सुसज्जित एहि भवन के मुख्य प्रेक्षागृह स्टेन
ऑडिटोरियम मे [ 18 सितम्बर, 13 ] चलि रहल अछि ललित – अर्पण उत्सव – 13. आयोजक अछि
असावरी रेपर्टरी । असावरी एकटा रागक नाम अछि जे भोर मे गावल जाइत अछि । एही रागक
नाम पर एहि रेपर्टरीक नाम असावरी राखल गेल अछि । असावरी नामक कथक नृत्य रेपर्टरीक
कथक सुप्रसिद्ध नृत्यांगना शोभना नारायण जी छथि । मूल रूप स’ बिहारक निवासी
शोभना जी पद्म सम्मान स’ सम्मानित नृत्यांगना छथि । नृत्यक शिक्षा गुरु पं. बिरजू
महाराज जी स’ ग्रहण केलथि ।
हँ ! त’ आब हम सब प्रवेश
क’ गेलहुँ एहि मुख्य प्रेक्षागृह मे । आजुका दिन हम सब मैथिल लेल खास अछि । आई एहि
भवनक सुव्यवस्थित प्रेक्षागृहक मंच पर विराजमान हेतीह मैथिली भाषी श्रीमती कुमुद
झा दीवान । हम सब मैथिली भाषी सौकड़ो के संख्या मे हिनका सुनबा लेल उत्कण्ठित छी ।
दिल्लीक विभिन्न भाग स’ गणमान्य सुसंस्कृत मैथिलजन प्रेक्षागृह मे उपस्थित छथि ।
![]() |
| सुश्री कुमुद झा दीवान मैथिलजन के सम्मान करैत |
लिअ’ शुरू भ’ गेल स्वागत,
सम्मान अर्पणक बाद असावरी रेपर्टरीक कथक नृत्य स’ अनुगुंजित हुअ’ लागल प्रेक्षागृह
। एकटक सब प्रेक्षक मंचपर नृत्य तालके संयोग स’ बनैत – बिगड़ैत नृत्य संरचना देखवा
मे लीन भ’ गेलाह । अद्भुत पद चाल आ शारीरिक भंगिमाक संयोग ।
आब हमर सबहक आसा-आसी
समाप्त भेल । मंच पर अपन साजो सामान ल’ उपस्थित भेलीह मैथिल ललना डॉ. कुमुद झा
दीवान । मूल रूप स’ मिथिलाक मधुबनीक
निवासी सुश्री कुमुद झा अपन शास्त्रीय गायन प्रतिभा स’ देशे नहि विदेशो मे अपन एकल
प्रस्तुति मे नाम स्थापित केने छथि । शास्त्रीय
गायन मे सेहो हिनक मजबूत पकड़ ठुमरी एहन क्लिष्ट गायन मे छन्हि । कुमुद जी गायनक संग
संग एहि विधाक शोधकार्य मे सेहो लागल छथि । हिन्दुस्तानी शास्त्रीय संगीत लेल प्रतिष्ठित सम्मान इन्दिरा गाँधी प्रियदर्शनी
एवार्ड-10 स’ सम्मानित सुश्री कुमुद झा अपन गायनक शिक्षा पद्मभूषण छन्नूलालजी
मिश्रा, श्रीमती अनिमा दास गुप्ता आ श्रीमती शांति हीरानन्द जी स’ ग्रहण केने छथि
। संगीतक महत्वपूर्ण तानसेन आयोजन, ग्वालियर स’ ल’ क’ नेहरू सेंटर, लंदन तक प्राय:
सब महत्वपूर्ण संगीत आयोजन मे अपन उपस्थिति द’ चुकल छथि ।
ठुमरी । ठुमरीक दू
प्रकार; पहिल बोलबाँटक ठुमरी आ दोसर बोल बनावक ठुमरी । बोल बनावक ठुमरीके सेहो दू
प्रकार; पहिल पूरब अंग आ दोसर पंजाब अंग । पूरब अंग ठुमरीक सेहो दू भाग; पहिल लखनऊ
शैली त’ दोसर बनारसी शैली । बनारस शैली मे
सेहो एकटा आर अंग जकरा कहल जाइत अछि गया शैली । त’ आजुक श्रोता सुश्री कुमुद झा
दीवान स’ पूरब अंगक बनारस शैली आ गया शैलीक ठुमरीक आनंद लेताह ।
अपन सब साजिंदा संग बैसलीह
कुमुद जी । अपन उद्गार मे अहू मंच पर सब स’ पहिने अपन मिथिला के मोन पाड़ब हिनक
सदाशयता लागल । मंच स’ बेर बेर मैथिल समाज के धन्यवाद देब हिनक महानता अछि । शुरु
भेल गायन । पहिल गान “हमसे जिनु बोलो
बलमा...” अपन शुरुआतहि स’ प्रेक्षक के मोहित क’ लेलक । गायन मे उतार चढ़ाव, लय मे
माधुर्य आ मुखमंडल पर गीतक भावक प्रेषण अति रमणीय छल । दोसर मध्य लय मे “ न छेड़ो
सैंया बाली उमर लड़कैयाँ..”
सब गीत मे शब्द बहुत कम
छल मुदा शब्द अपन अभिव्यक्ति मे अलग अलग रूप मे प्रेषित भ’ रहल छल । गायन विलम्बित
लय स’ शुरु भ’ आगू बढ़ैत गेल । गीतक प्रत्येक स्वरक पसार अनेको तरह स’ बेर बेर आबि
रहल छल । गयन क्रम मे छोट छोट मुरकी, खटका आदिक सुन्दर प्रयोग स’ गायनक गुणवत्ता
परिलक्षित भ’ रहल छल । एकटा परिपक्व प्रस्तोता
जेना कुमुद जी अपन गायनक प्राय: सब शब्द मे नीक आँगिक भंगिमाक पुट स’ आकर्षक छटा
प्रसारित क’ रहल छलीह । जखन गायन अपन अंतिम रूप धारण क’र’ लगैत छल तखन संगत
करनिहार तबला पर कहरबाक थाप बुझु भाव विभोर क’ दैत छल ।
एहि स’ पहिने कतेको
ठुमरी आयोजन मे गेल छी । मुदा एहि आयोजन मे अपनापन छल । मंचक स्वर अप्पन छल । देसी
छल । खाँटी मैथिली स्वर छल । मिथिला नारीक सशक्तिकरणक द्योतक छल । मिथिलाक विदुषीक
सम्मानक छल । आदरणिया श्रीमती डॉ. कुमुद झा दीवान जी केँ हार्दिक बधाई ।




BAHUT BAHUT BADHAI.....DUKHAK SANG KAH PADI RAHAL ACHHI JE VISHESH AAMANTRAN KE BHELA UPRANTO CHAKSHU AA SHRAVAN SUKH NAHI LA SAKLAHUN...MATA -PITA JI KE SANG KATAHUN GENAI ANIVAARY BHA GEL CHHAL...SANJAY JHA
जवाब देंहटाएंPrakashji achcha likha hai
जवाब देंहटाएं